Thursday 9 August 2018

Maithili Gaghal

पाबि अहाँकेँ  निखरि गेलौं
सबटा  दु:ख  बिसरि  गेलौं

हँ मे हँ कहलौं तँ निक छी
नै कहलौं तँ उखरि गेलौं

जे बनेलक अहाँकेँ लोक
तकरे खा' क' पसरि गेलौं

खाँहिस छ'ल तँ केलौं प्रीति
मन  भरिते  ससरि  गेलौं

कने जे ने आदर देलौं तँ
कपार पर चहरि गेलौं

एते ने झूठ स्वप्न देखेलौं
मनसँ  अहाँ उतरि गेलौं
            - विजय कुमार ठाकुर

Friday 8 June 2018

गजल

आबै छी तँ फेरि जाउ नै
मानै  छी  बात जनाउ नै

हमरालें की की केलौं से
आंगुर   पर    गनाउ   नै

हरेक पल  केँ मोल छै
नेहोरा अछि लजाउ नै

जाति अपन भिन अछि
बात  ई  बीचमे लाउ  नै

ल' लेत जान इन्तिहान
बेर - बेर  अजमाउ  नै
           - विजय कुमार ठाकुर

Sunday 20 May 2018

मैथिली गजल

निपल अंगना निपले रहलै
जरल  मानस  जरले रहलै

आस छ'ल जे चलि जेतै अखार
भिजल   नएन   भिजले   रहलै

गछि क' नोत नै एलखिन नाह
काटल  भालरि  काटले  रहलै

खइतौं  एेँठ  बढबितहुँ  नेह
साजल सचार साजले रहलै

आब निक दिवस एतै कहिया
बारल  जनता   बारल   रहलै
              - विजय कुमार ठाकुर

Thursday 12 April 2018

गजल

कपारक  लिखल मेटत के
नियति मे नहि त' भेटत के

दीनक स्वर्ग छै भीतक घर
ईंटा  पर  सँ  ईंटा  गेंटत के

अपने जखन भ' जेँ विमुख
छिड़िएल  लागि समेटत के

ठेस  जे लागल लोहू बहैए
आँचड़ केँ फाड़ि लपेटत के

अपन बुझि क खुशी केँ ठोप
दुखक  जलधि  मे  फेँटत के
              - विजय कुमार ठाकुर

Saturday 24 March 2018

गजल

मोनक बात कहल नै भेल
हाथ ओकर गहल नै भेल

कहिते रहलौं सच के सच
हवा के संग बहल नै भेल

इमानक हाथ नै छोड़लौं तेँ
भीतक  घर  महल  नै भेल

भिन भेलौं गप मोनें रखितौं
दुख  जे  बात तहल नै भेल

साँस चलने कि हम जिन्दा छी
तोर   बिछोह   सहल  नै  भेल
                   - विजय कुमार ठाकुर

Wednesday 21 March 2018

गजल

दुख कहियौ ककरा कान कहाँ छै
एहि  पाथर  में  भगवान कहाँ  छै

अछि  डेग-डेग  पर  रावण  ठाढ
आब राम आ धनुष बान कहाँ छै

सबके घराड़ी पर छै कोठे-कोठा
मुदा ककरो आब दलान कहाँ छै

निज  के  सब  सँ  पैघ बुझैत अछि
ओहि लोक के कहु सम्मान कहाँ छै

हम त मरि गेलौं कोना तोँ जिन्दा छेँ
ओ कहलक जीयै छी, जान कहाँ छै

Wednesday 14 February 2018

कविता

मूल रचना - जावेद अख्तर
मैथिली अनुवाद - विजय कुमार ठाकुर

कोना कहु हम अहाँके, हमरा लेल अहाँ के छी
कोना कहु
कोना कहु हम अहाँके
अहाँ धड़कन के गीत छी, जीवन के अहाँ संगीत छी
अहाँ जनम, अहाँ भजन
अहाँ धवल, अहाँ नवल
अहाँ सबटा खुसी, अहाँ रति छी
अहाँ प्रीत छी, मनमीत छी
आँखि मे अहाँ, अखिआस मे अहाँ
नीन में अहाँ, स्वप्न में अहाँ
नोर में अहाँ, कहर में अहाँ
अहाँ हमर मन में, मति में
अहाँ दिन में, अहाँ राति में
अहाँ साँझ में, अहाँ भोर में
अहाँ काम में, अहाँ अटोर में
हमरा लेल पाएब अहीं
हमरा लेल चुकब अहीं
हमरा लेल हाँसब अहीं
हमरा लेल काँनब अहीं
आओर जागब सूतब अहीं
जाऊ कतउ देखु कतउ
अहाँ एतए अहाँ ओतए
कोना कहु हम अहाँके
अहाँ बिनु त हम किछु नैं छी
कोना कहु हम अहाँके, हमरा लेल अहाँ के छी

कोना कहु हम अहाँके
इ जे अहाँक रूप अछि
जिनगी के धूप अछि
चन्दन स साजल बदन
बहैत अछि ओहिमें एगो अगन
इ चमक आ  इ धमक, अहाँके वायु स भेटल
केस मेंघ स भेटल
ठोर में कली खिल गेल
आँखि के झील मिल गेल
मुँखरा पर समटल चाँदनी
आवाज में अछि रागिनी
शीशा एहेन अंग अछि
फुल जेहेन रंग अछि
धार एहेन चाल अछि
की छटा अछि, की गाल अछि
इ बदन के रंग, जेना तितली हजार
आँचर के इ छाह, इ बाँहि के आकार
इ स्वप्न के नगर छै
कोना कहु हम अहँके, बिनु अहाँ इ जान जहर छै
कोना कहु हम अहाँके, हमरा लेल अहाँ के छी

कोना कहु हम अहाँके
हमरा लेल अहाँ धरम छी
अहीं विश्वास छी
अहीं पुजा छी हमर
अहीं खाँहिस छी हमर
अहीं आस छी
ताकै छी हम जेकरा हरेक क्षण, ओ अहाँ तस्वीर छी
अहीं हमर तकदीर छी
अहीं नक्षत्र छी हमर
अहीं गत्र छी हमर
जाल एना अहाँ फेरने छी
लागैए जेना अहाँ हमरा घेरने छी
पूरब में अहाँ, पक्ष्चिम में अहाँ
उत्तर में अहाँ, दक्षिण में अहाँ
हमर सकल जीवन में अहाँ
हमरा लेल धीर अहीं
हमरा लेल धेह अहीं
हमरा लेल सागर अहीं
हमरा लेल गागर अहीं
हम देखै बस अहाँके छी
हम सोचै बस अहाँके छी
हम मानै बस अहाँके छी
अहीं हमर पहचान छी
कोना कहु हम अहाँके
अहाँ देवी छी, अहाँ भगवान छी
कोना कहु हम अहाँके, हमरा लेल अहाँ के छी
कोना कहु......
                           -विजय कुमार ठाकुर