बाट तकैत रहलौं आजीवन
अहाँ ठकैत रहलौं आजीवन
ई अन्तिम छै इएह बिचारि'क
दुख सहैत रहलौं आजीवन
अपन लेल सदत चालनि में
पानि भरैत रहलौं आजीवन
कागक भाखा सुनि'क अंगनामें
आस करैत रहलौं आजीवन
आन बुझत त' करत चौल तेँ
नोर पोछैत रहलौं आजीवन
- विजय कुमार ठाकुर
No comments:
Post a Comment