हम बतही छी जे आस करै छी
अहाँके उपर विश्वास करै छी
मोंनक बात सुनि करि भरोस
बेरि बेरि अहाँ निराश करै छी
इ मानल जे लिखल मेटत के
तैओ मेटबाले उपास करै छी
आढि छँटबा में बितल जीवन
आब गंगा कात में मास करै छी
हम की केलौं नैं देखलौं कहिओ
आन उपर उपहास करै छी
हमराले छै वेँह भीतक घर
अहाँ कहु कतए वास करै छी
- विजय कुमार ठाकुर
No comments:
Post a Comment